प्रशान्त महासागर
दिखावट
प्रशान्त महासागर अमेरिका आर एशियाक पृथक करेत अछि। ई विश्वक सबस बड़ तथा सबसं गहरा महासागर छी। तुलनात्मक भौगौलिक अध्ययनसं पता चलल की इ महासागर मे पृथ्वीक भाग कम तथा जलीय क्षेत्र अधिक अछि। एकर क्षेत्रफल ६,३६,३४,००० वर्ग मील, अर्थात अटलान्टिक महासागरक दुगुनासँ सेहो अधिक अछि। ई फिलिपीन्स तटसँ लके पनामा ९,४५५ मील चौडा तथा बेरिङ जलडमरूमध्यसँ लके दक्षिण अन्टार्कटिका धरि १०,४९२ मील लमबा अछि। ई समस्त भूभागमे फैलल अछि।