मुक्तिनाथ
मुक्तिनाथ Muktinath | |
---|---|
निर्देशाङ्क: | २८°४९′०″उ॰ ८३°५२′१५″पू॰ / २८.८१६६७°N ८३.८७०८३°Eनिर्देशाङ्क: २८°४९′०″उ॰ ८३°५२′१५″पू॰ / २८.८१६६७°N ८३.८७०८३°E |
नाम | |
वास्तविक नाम: | मुक्तिनाथक मन्दिर |
अवस्थिति | |
देश: | नेपाल |
राज्य/अञ्चल: | धवलागिरी |
जिला: | मुस्ताङ |
स्थान: | मुक्तिनाथ, जोमसोम |
कला आ संस्कृति | |
मुख्य देवता: | मुक्तिनाथ,विष्णु |
वास्तुशैली: | द्रबिड शैली |
वेबसाइट: | muktinath.org |
मुक्तिनाथ हिन्दू तथा बौद्धमार्गीसभक लेल एक महत्वपूर्ण तिर्थस्थल छी । ई तिर्थस्थल समुद्र सतहसँ ३,७१० मीटरक उचाईमे नेपालक हिमालय पारक मुस्ताङ जिलामे अवस्थित अछि । ई मन्दिरके हिन्दूसभ मुक्ति क्षेत्र तथा बौद्धमार्गीसभ तिब्बती भाषामे छुमिङ ग्यात्सा (अर्थ 'सय पानी') कहैत अछि । तिब्बती बौद्धमार्गीसभक २४ तान्त्रिक स्थानसभमे सँ छुमिङ ग्यात्सा सेहो एक छी । मुक्तिनाथ वैष्णव सम्प्रदायक सेहो प्रमुख मन्दिरसभमे सँ एक छी । ई तिर्थस्थल शालिग्राम भगवानक लेल प्रसिद्ध रहल अछि । शालिग्राम बास्तवमे एकटा पवित्र शिला छी जकरा हिन्दू धर्ममे पुजनिय मानल जाइत अछि । ई मुख्य रुपमे कालीगण्डकी नदीमे मिलैत अछि । जहि क्षेत्रमे मुक्तिनाथ अवस्थित अछि ओ ठामके मुक्तिक्षेत्र कहल जाइत अछि । हिन्दु धार्मिक मान्यताक आधारमे ई एहन क्षेत्र छी, जतय लोकसभके मुक्ति अथवा मोक्ष प्राप्त होइत अछि । मुक्तिनाथक यात्रा जटिल अछि मुदा तबो हजारो सङ्ख्यामे हिन्दू धर्मावलम्बी एतय तिर्थ करैलेल आबैत अछि । ई हिन्दु धर्मक दुर्गम तिर्थस्थलमे सँ एक छी।
पौराणिकता
[सम्पादन करी]मुक्तिनाथ १०८ दिव्य देशसभमे एक स्थान छी । ई 'दिव्य देश' वैष्णवसभक पवित्र मन्दिर छी ।[१] पारम्परिक रूपमे भगवान विष्णुक शालिग्राम शिलाक रूपमे पूजा कएल जाइत अछि । ई शिलाक निर्माण प्रागैतिहासिक कालमे पाबल जाइवाला किराक जीवाश्मसँ भेल छल, जे मुख्यत: टेथिस सागरमे पाबल जाइत छल । जतय टेथिस सागर अवस्थित छल ओ ठाम अखन हिमालय पर्वत अछि । पौराणिक मान्यतासभक अनुसार शालिग्राम शिलामे विष्णुक निवास होइत छल । एहि सम्बन्धमे अनेक पौराणिक कथासभमे सेहो प्रचलित अछि । याह कथासभमे एक कथाक अनुसार जब भगवान शिव जालन्धर नामक असुरसँ युद्धमे नै जित सकल तखन भगवान विष्णु हुनकर मद्दत केनए छल ।
चित्र दीर्घा
[सम्पादन करी]-
मुक्तिनाथ मन्दिर क्षेत्र
-
मुक्तिनाथ मन्दिर क्षेत्र
-
मुक्तिनाथ मन्दिर क्षेत्र
-
मुक्तिनाथ मन्दिर क्षेत्र
-
मुक्तिनाथ मन्दिर क्षेत्र
-
मुक्तिनाथ मन्दिर क्षेत्र
-
मुक्तिनाथ मन्दिर क्षेत्र
-
मुक्तिनाथ मन्दिर क्षेत्र
-
मुक्तिनाथ मन्दिर क्षेत्र
-
मुक्तिनाथ मन्दिर क्षेत्र
-
मुक्तिनाथ मन्दिर क्षेत्र
-
मुक्तिनाथ मन्दिर क्षेत्र
-
मुक्तिनाथ मन्दिर क्षेत्र
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]बाह्य लिङ्कसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे मुक्तिनाथसँ सम्बन्धित मिडिया अछि।आकृति:Preview warning |
- http://www.nagariknews.com/nagarik-sanibar/story/20391.html
- http://m.setopati.com/samaj/5191/[permanent dead link]
- http://www.globenepal.com/2013-04-26-18-13-45/211-2013-05-14-05-57-10.html[permanent dead link]
- http://eadarsha.com/यात्रा-मुक्तिनाथ/
- http://imagekhabar.com/samachar/detail/37144/62/.shtml सङ्ग्रहित २०१६-०३-०९ वेब्याक मेसिन
- मुक्तिनाथ आ मार्फा सङ्ग्रहित २०१६-०३-०५ वेब्याक मेसिन